• images/stories/slider/1.jpg
  • images/stories/slider/2.jpg
  • images/stories/slider/3.jpg
  • images/stories/slider/4.jpg
  • images/stories/slider/5.jpg
  • images/stories/slider/6.jpg

विद्यापति चेतना समिति

समितिक परिचय :
विद्यापति चेतना समिति गुवाहाटीक लेल नब नहि। सन्‌ 2009 मे किछु किछु जागरूक मैथिल भाई एहि संस्था मे जान फूकबाक दृढ़ निश्चय कएलन्हि। एकटा बैसार प्रभा देवी गुप्ता हिंदी हाईस्कूल बेलतला, गुवाहाटीक प्रांगण मे भेल। बैसार मे सर्वसम्मति सॅं एक गोट तदर्थ समिति बनल। विद्यापति चेतना समितिक बैनरक तऽर मे प्रभा देवी हिंदी हाई स्कूलक प्रांगण मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह आयोजित भेल। जे अति प्रशंसनीय रहल। किछु दिनक पश्चात एक गोट आमसभा रेलवे इंस्टीट्‌यूट हाल बामुनी मैदान मे आयोजित कएल गेल। जाहि मे सर्वसम्मति सॅं एकटा सशक्त समितिक चुनाव भेल। समितिक अध्यक्ष मनोज वर्मा के बनाओल गेलैन्ह।
विद्यापति चेतना समिति एकटा एहन संस्था अछि जाहि मे कोनो धर्म, जाति-भेद, अमीर-गरीब, ऊंच-नीचक कोनो भेद नहि। सबहक समावेश एहि संस्था मे अछि । सबहक लेल समान अधिकार, सामान्य व्यवस्था। विद्यापति चेतना समिति हर वर्ष विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक आयोजन करैत अछि, जाहि मे मिथिले टा नहि देशक सभ भाग सॅं प्रकांड विद्वान लोकनि अबैत छथि। नीक-नीक कलाकार लोकनि अपना कलाक एहन छाप छोड़ैत छथि जे एहि वर्षक कार्यक्रम ओहिवर्ष धरि मानस पटल पर उभरैत रहैत अछि।

Copyright © 2012 MithilaSamaj. All Rights Reserved.
Joomla! is Free Software released under the GNU/GPL License.